Last modified on 27 अप्रैल 2024, at 15:32

अतृप्त जिह्वा / उदय नारायण सिंह 'नचिकेता'

खद्धरक कुर्त्ताक बटन,
हवा में खुजि गेलैक ।

तीनटा बटन सँ नुकायल छलैक
लोभक जे लोल जिह्वा, मौसक हँड़िया देखि-
तकर जी ललचा गेलैक ।