जग भरिक उपरागसँ अकच्छ भेल छी
राति-दिन लागैत दागसँ अकच्छ भेल छी
मौध मुँह पर मुदा मोन माहुर भरल
ई फुसियाहा अनुरागसँ अकच्छ भेल छी
हम जँ बजलौं अहाँसँ त' रुसि रहता ओ
ऐ संबंधक गुणा-भागसँ अकच्छ भेल छी
दंश सहलौं कते मिसिया भरि मौध लेल
प्रेमक मधुर परागसँ अकच्छ भेल छी
"नवल" टूटितै नै जे निन्न होएतै एहन
राति-राति भरिक जागसँ अकच्छ भेल छी