भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

आतंकी गाम / कामिनी कामायनी

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

हाथ पएर मोड़ने
ओ सुतल सुतल सन गाम
जतय एखनो किओ किओ
गाबैत छलपरातीझुमरिआ कजरी
जतय अखनों पीबैत छल
विभेदक वावजूदसंग संग पानिएके घाट प
बाघ आ बकरी।
खरिहान मे दूर दूर धरि पसरल धान
हसैत –ठिठियाति लोक के छलै भरि मुंह पान।
नव नुकूत प्रेमक होईत छल चर्च
नीक बेजाय मेहोईत छल बुद्धि खर्च।
जतय एखनहु बांचल छल
आंचरक लाज
मन जांति कजन्निजाति
करैत छल अपन अपन काज।
जतय एखनो भोर स साँझ धरि
बनैत छल किसिम किसिम के भानस
जीवन स तृप्तसुखासन प बैस
ज्ञानी ध्यानी पढे छलाह मानस।
जतय एखनों ठाढ़ छल पुआरक
बड़का टाल
आ किल्लोल करैत धिया पूता
होय छल निहाल।
ओहि सुतलओंघायल सन गाम मे
पैसि गेल छल एक दिन
किछू अंनचिन्हारअजगुत
जेकर बग्गे बानी सेहो कहने दन
हाथ मे कड़गर हरियर हरियर नोट आ बंदूक।
ओ सब बैसाहे आयल छलशांतिपसारि क एक गोट भ्रांति
खेत खरिहान मे उपजाबय लेल
बारूदआरडिएक्स।
छीटैत रहल पाय पर पाय
आ देखैत देखैत
भ गेलै विषाक्त
गामक पोखरि
बन्न भ गेले अजान,कीर्तन आ पराती
डेरा गेल बिहुसैत समाज
ओतय आब काबिज अछि
भयोंनगरजैत
लाल लाल आंखिमुंह स बोकरेत
आगि सन
आतंकक घिनौन साम्राज्य॥