भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

आत्मा / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

अहाँ लग कंचन अछि
तँ अहाँ कीन सकै छी
कामिनी
ओकर रूपक मदिराकें पात्रमे ढ़ारि
रसे-रसे
वा एक्के बेरमे
गटकि सकै छी।

आलिंगन
चुम्बन
नखछेद
आ दशन छेद कऽ सकै छी
मुदा,
ओकर आत्मा नहि कीनि सकै छी।