Last modified on 8 अगस्त 2016, at 05:01

आ डोला लऽ कऽ जाइ छै मोतीराम / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

आ डोला लऽ कऽ जाइ छै मोतीराम
राज तऽ महिसौथामे
डोला लऽ कऽ जाइ छै मोतीराम
राज तऽ महिसौथा नगरियामे ने हय।
आब जुमि गेलै आय मोतीराम
आ जुमि गेलै मोती दुलरूआ
राज तऽ महिसौथा मे-2।
मोतीराम जुमि गेलाह राज महिसौथा राज मे।