भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

आ बान्हि के बनिसारऽ / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

आ बान्हि के बनिसारऽ
आइ तीसीपुरमे कऽ देबह हौऽ।
हौ बतबा कहै छै बात नइ मानै छै
आ जाति हरमुठहा गुअरबा लागैय
आ खड़ुआ नंगोटा गात लगौलकै
आ बाइस हाथ के दोपटा बन्हने
आ अस्सी मन के डंडा भँजै
आ सुन-सुन हौ राजा दरबी
आ सहजे आइ दिन हजमा ने मनबह
आ डोला फनाँ हम तीसीपुरमे जेयबह।
आ जल्दी आइ युद्ध राजा ड्योढ़ियामे कऽ लय हौ।