भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

एकटा अनुत्तरित प्रश्न / विकाश वत्सनाभ

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

एकैसम शताब्दीक हाट पर
फ्लिपकार्ट सँ पनही किनैत मनुख
मनुख नहि -
एकटा यांत्रिक जीन थिक
जे मशीनक चाबुक सँ हंकाएत
अपसियाँत भगैत
जमीनक मंगल सुड्डाह क'
ठिकिया रहल अछि अकाशीय मंगल
एकर धमनी मे बहैत शोणित मे
मिझराएल छै ऐसिड
एकर माथक कोशिका मे
मढ़ल छै सिलिकॉन
आ एकर अतड़ी मे गुहल छै
कॉपरक महीन तार
जे एकर चेतनाक अचिया फुकि
डाहि रहल छै हिरोशिमा-नागाशाकी
ई अपन निर्माणक ओरियान मे
पांगि रहल छै हरियरी
उपछि रहल छै पोखरि
भत्थन क' रहल छै इनार
आ बन्नुक तनने ओगरबाहि करैत
बतहा कुक्कुर सन
भूकि रहल छै अनहोनिक आगम
ई भाववाची विशेषणक नरेटी दबा
लांक्षित करैत छै जातिए संज्ञा
आ विज्ञानक व्याकरण बिनबुझने
लिख रहल छै विकासक महाकाव्य
जाहि मे संवेदनाक उद्घोष नहि
निहित छै आफदक अलंकार
एकर अपसोगारथी प्रवृति
संपदा के मटियामेट करबा पर बिर्त
विपदा केँ हहकारैत
मनुखक भविष्य पर ठाढ़ करैत छै
विगुम प्रश्नचिन्ह !
जकर उत्तर किंसाइत हेतैक वएह
से मुदा कहिया ?
एकटा अनुत्तरित प्रश्न...