Last modified on 1 जुलाई 2014, at 00:21

कहु कहु घनश्याम, अपने के कीये अछि नाम / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

कहु कहु घनश्याम, अपने के कीये अछि नाम
कोना आबि गेलहुँ मिथिला नगरिया मे
अहाँ के बाबू बड़ अनबूझ, सासुर कयलनि बड़ी दूर
चलऽमे भेलहुँ चूरमचूर, कने बैसि लिअ जनकजी के फुलबरिया मे
दुर्गानन्द कहथि कलजोड़ि, कनेता ई नयना खोलि
सखि सब करत किलोल महलियामे