भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
काठ पर बैसलीह / कालीकान्त झा ‘बूच’
Kavita Kosh से
काठ पर बैसलीह एक नव यौवना
मुँह केँ पखारि दीप वारिए मे वारि
हाथ वाम आबि आयल वुटम पर
ससरल साड़ी कि पसरल प्रकाश पुंज
सूखल सरोज ओज ल' क' फुला गेल
वैसल समाधि साधि व्याकुल वगुलबा
कि तावते तुला गेल एक सोझ पछवा
यावत् सम्हारि उर आँचर पसारथि कि
बीचहिं सं कनखी चलौलक सरधुआ