भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

कुचक्र / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

अहाँ जीबि रहल छी
सूचना-संसारक विस्फोटक जुगमे
मुदा,
जरूरी नहि अछि
जहाँ जे खबरि सुनने छी
रेडियोसँ
इंटरनेट पर जे पढ़ने छी
आ टेलीविजन पर जे देखने छी
मात्र ओएह साँच होइक
भऽ सकइए
साँच कुचक्र केर शिकार भेल होअय।