भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

क्रूरता / गंग नहौन / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज



समय
क्रूर भऽ गेल अछि
ओ बदलि देलक अछि
मनुक्खकें
वस्तुमे।

वस्तुए जकाँ
बिका रहल अछि
आब मनुक्ख
हाट-बजार
सोन्हिआ गेल अछि
ओकर शोणितमे
क्रूरता।