भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

खिल रौद आबै अछि / रूपम झा

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

बिनु बाजल खिड़की सँ
खिल रौद आबै अछि
छुबि-छुबि देह गात
गुदगुदी लगाबै अछि

संग-संग पवन मंद
भरलक सुरभित सुगंध
नहि जनय बंद-बंध
फुसुर-फुसुर कान मे
मधुर गीत गाबै अछि

गाछ-गाछ मंजर अछि
दृश्य कतेक सुन्दर अछि
चिडै अछि छोट-छोट
खूब पैघ अम्बर अछि
आँगन मे आबै अछि

एतय ओतय जीवन अछि
साँस अछि धड़कन अछि
ई धरती मधुबन अछि
अय धरती पर प्राणी
स्वरगक सुख पाबै अछि।