भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

गंगाक धार सन लहराइत / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज


मीता
आइ नहि छी हमरा लग
तइयो बतास चलइए
देहकें सिहकाबइए
लगइए
अहीं चुम्बन कयल अछि हमरा।

पातक खरखरायब
कहइए
अहींक आगमन
सोलह सिंगार कऽ
बिहुरी गिरयबा लेल।

भकजोगनीक झनझनायब
कहइए
अहींक पायलक रुन-झुन।

गंगाक धार देखि
लगइए
अहींक आँचर लहराइए
एहिना अनुभव करैत रही
सभ दिन
ई कम बात नहि भेलै।