भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

गहना / दीपा मिश्रा

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

माथक लेल सीथी
मंगटीका तेपती
केशक लेल
खोपबन कीलीप
आ टीका

नाक लेल
नथिया बेस्सैर
नकमुन्नी छक
बुलकी आ नथनी

कानक लेल
कर्णफूल झुमका
तड़की कनपासा
बाली माकरी
बीर झुमक
बेली फूल
झिमझिमिया
मछरिया खुट्टी
आ कनैली

साड़ीमे लागल
चिरून आ मनौरी

गरिदनमे पहिराओल
काँट टीप
मटरमाला हँसुली
घमौरी दाना
जंत्र चेन प्रेम फांस
नेकलेस ताॅक
हेंकल चंद्रहार
मंगलसूत्र चाॅपकली
धुकधुकी
हनुमानी
आ मोहनमाला

बाँहि पर पहिराओल
पाति नवग्रह
बाँक जसन
चौखटा बाजू
तिनखण्डी काॅटबी
अनंत गोफ
टार बाजू
आर्मलेट आ चान

हाथमे परल
हथसंकर
पछुआ अगुआ
छन नौग्रही
बाला मट्ठा
कंगन एकरब्बी
दोरब्बी अमीरती
जालबानी खसिया
पोला आ औंठी


डाँरमे बान्हल गेल
डरकस कोचबन
कमरकस घुघरू
आ चाबी रिंग

पैरमे पहिरा देल गेल
कारा छारा
पांजेब पैरी
पायल साट
औंही पैजन
नुपुर आ
पैरशंकर

आब कहू एतेक
गहनाक भारक संग
बेटी कोना चलती?
की ई खाली
सिंगार लेल छल
वा स्त्रीकेंँ बान्हिके
रखैक,
मोहसँ, मर्यादासँ
लिप्सासँ वा सौन्दर्यसँ?
आबो त' ओ बन्हा जाइत छथि
कतौ ने कतौ
एहि सबसँ
आ बिसरि जाइत छथि
अपन मूल अस्तित्व
गहनाक चमकमे
नुकां जाइत छन्हि
हुनक मोनक सौन्दर्य
ई कृत्रिम सौन्दर्यमे
बहुत कम स्त्री
ई बुझि सकल
ओतै उतारि देलक मोह
गहनाक संगहि
आ अपन पंख
पसारि लेलक
उन्मुक्त गगनमे
उड़बाक लेल
लेकिन आइयो
कतेको ओझरायल रहि गेलीह
एहि गहनाक बीच
आ सीपक मोती
कहिया हरा गेलैन
बुझबो ने केलैथ