भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

चढ़त चैत चित चंचल कि / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

चढ़त चैत चित चंचल कि और चित चंचल हो
हो रे, कुसुम लेल पतझार श्याम नहि आयल हो
ककरा सँ चिठिया लिखाएब, ककरा पठायब हो
हो रे, के कहत मोनक बात, खबरिया हम जानब हो
कैथा सँ चिठिया लिखाएब, हजमा पठाएब हो
हो रे, हजमे कहत निजबात, खबरि हम जानब हो