भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

चित्र / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

अकास केर
आसमानी कालीन पर
के उकेरलक अछि?
भिन्न-भिन्न तरहक चित्र
के अछि?
जे लागतार बनाइए रहल अछि
चित्र
भरि रहल अछि
चित्रमे रंग।

चित्र
आ चित्रमे भरल रंग
भरि देलक
हमर मोनमे
आसक्ति
भऽ गेलहुँ
आसक्त
जागि गेल
सृजन करबाक
लिलसा।