Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 18:27

छोड़ब नहि हाथ / ककबा करैए प्रेम / निशाकर


प्रेम
योग अछि
तँ हम योगी भेलहुँ
अहाँ योगिनी
प्रेम
भोगि अछि
तँ हम भोगी भेलहुँ
अहाँ भोगिनी।

प्रेम
मान अछि
तँ हम मानित भेलहुँ
अहाँ मानिनी
प्रेम
अपमान अछि
तँ हम अपमानित भेलहुँ
अहाँ अपमानिनी भेलीह।

एक बेर हाथ लेब
तँ किछु भऽ जाय
छोड़ब
नहि हाथ
एक-दोसराक
अंत-अंत धरि।