भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

जब केन्हु से हाथ में छल्ला / हम्मर लेहू तोहर देह / भावना

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

जब केन्हु से हाथ में छल्ला निसानी आ गेल।
सोच क उहे बात आंख में पानी आ गेल॥

आएना मंें गौर से न देखली चेहरा कहियो।
गेल कहिया लरिकपन कहिया जवानी आ गेल॥

भोर से सांझ तक घुन में गांव पूरा डूबल रहल।
कनकनाइत ठार रहे कि इआद नानी आ गेल॥

कनिया-पुतरिया खेल में न दिन के सुध न रात के।
इआद हमरा फेनू उहे कहानी आ गेल॥

तिलक-दहेज के सोच क मर रहल बेटी के बाप।
आंख के आगे जबसे बेटी सेयानी आ गेल॥