Last modified on 22 सितम्बर 2013, at 11:29

देखु किस्मत के खेल, गौरी महादेव के पहिने सँ मेल / मैथिली

   ♦   रचनाकार: अज्ञात

देखु किस्मत के खेल, गौरी महादेव के पहिने सँ मेल
पुरी जिलेबी शिव के कोबर घर गेल्, पुरी जिलेबी छोडी, भाँग घोटी गेल्
देखु किस्मत के खेल ...

तेल फुलेल शिवके कोबर घर गेल्, तेल फुलेल छोडी, भस्म लेपी लेल
देखु किस्मत के खेल...

पियर पिताम्बर शिवके कोबर घर गेल्, पियर पिताम्बर छोडी, मृग छल ओढिलेल
देखु किस्मत के खेल...

लाल पलङ शिवके कोबर घर गेल्, लाल पलङ छोडी, भुइँए लोटी गेल
देखु किस्मत के खेल...