भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

नवमुण्डक माला गाँथू / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मृत्युंजयक सुखद आङनमे मृत्युक ई आवाहन,
शान्ति दूतकेँ समर सिन्धुमे करय पड़ल अवगाहन।
शिवक कुटी दिस आइ पुनः भस्मासुर मातल आयल,
जकर प्राणमे महाविनाशक कीट अनन्त समायल।
सत्य अहिंसावादीकेँ मिथ्याचारी ठकलक रे!
अपने हाथेँ चिता जरा ई मृत्युद्वार तकलक रे!
मायक दूध लजौलक नहि कहियो ई भारतवासी,
आयल सम्मुख लाख परिस्थिति दुर्घटन सत्यानाशी।
जय-जय भैरवि असुर-भयाउनि पशुपति-भामिनि जागू,
शुम्भ-निशुम्भ पुनः जनमल अछि, आबहु तन्द्रा त्यागू।
रुण्डमुण्डमय करू धराकेँ, महिषासुरकेँ नाथू,
भेल पुरान तोड़ि फेकू, नव मुण्डक माला गाँथू।
कोटि-कोटि अछि शीश बलिक हित अर्पित अहिंक चरणपर,
अद्भुत ज्योतिपुंज जग व्यापत वीरक दिव्य-मरणपर।
आत्मा वीर प्रताप, शिवाजी आदिक तखन जुड़ायत,
देखि हमर पौरुष, सुटकौने नाङड़ि शत्रु पड़ायत।
जागल देशक दीपित यौवन रक्त पुनः उधिआयल,
नव-उत्साह सिन्धुमे सरिपहुँ सौंसे देश नहायल।
ठहरि सकत नहि दुर्मद दानव सुनि गर्जन प्रलयंकर,
लय त्रिशूल उठलाह पिनाकी रुद्र रूप धय शंकर।