Last modified on 8 मार्च 2017, at 13:08

नानी त' दैवक दान सन / नवल श्री 'पंकज'

नानी त' दैवक दान सन
नाना सुखद अभिमान सन

दुलरी धिया नानीक जे
से माँ हमर भगवान सन

मामी सिनेहक खान छथि
मामा लगै छथि चान सन

मौसीक ममता माँ जकाँ
मानथि अपन संतान सन

नानी खुआबथि साग जे
लागैछ ओ पकवान सन

भेटल सिनेहक छाँह ई
होइत अछि दिअमान सन

छै नेह मात्रिकक "नवल"
अनमन अगहनक धान सन