भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

नारी / गंग नहौन / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज


घर अछि हमर
बरौनी टीसन
प्लेटफार्म हमर कोठरी
गन्हाएल सम्बन्धसँ जनमल
एकटा नारी छी।

यात्री सभमे निहारै छी
बापक आकृति
मायक आकृति
भायक आकृति
बहिनक आकृति
मुदा कोनो आकृति पर आँखि न´ि छमकैछ।

यात्री सभ तकैत अछि
हमर मसुआएल देह
टेबैत अछि उघार अंग
पुरुष सब सीखा देने अछि
कामसूत्रक दैहिक भाष्य।