भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
निर्जल मेघ / रामदेव झा
Kavita Kosh से
राशि-राशि मेघ आबि
पड़ाएले जाइत अछि
पश्चिम दिस
प्रतीक्षककें डुबा क’
निराशाक सागरमे-
जेना कोनो
फ्लैग स्टेशन पर
कोनो एक्सप्रेस ट्रेन
हड़हड़ाइत जाइछ चल।
आ ठाढ़, प्लैटफारम पर
मोसाफिर देखि देखि
ठकुएल रहि जाइत अछि।