भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

प्रेममे / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज


प्रेममे सफलता
थोड़ लोककें भेटैत छैक।

प्रेममे हम
भने भऽ जायब
असफल
नहि खयबै माहुर
नहि खुअयबै ककरो माहुर
नहि करबै आत्महत्या
नहि करबै ककरो हत्या
पानि जकाँ निश्छलताक संक
खेप देबै
जिनगी।