Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 18:20

बरक्कति / ककबा करैए प्रेम / निशाकर


अहाँ
धरतीक स्वर्ग नहि बना सकै छी
कोनो बात नहि
मुदा
अहाँ
अपन कर्मसँ एकरा नहि बनाबी
नरक
निरमल रखियैक नेत
किएक तँ
नेत गुणे बरक्कति होइत छै।