भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

बरहमासा / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

प्रियतम आकुल कुम्हरल दारा मन,
टिहुकि उठल ना
मूक शिशिर पुचकारथि कोना?
दूर द्वीप सजना

जामिनी बनल कंत बिनु विजन
तरूणी माघ मनाओल क्रन्दन
सरस वसन्त क ललित रात्रि मे-
हहरै कंगना
प्रियतम

दादुर ठहकय तृप्ति सरोवर
अश्रुधार सँ सींचित कोबर
कीर मृदुल सुनि चैतो बीतल
विह्वल नयना
प्रियतम

अहाँ सँ सिनेहक धंधा कयलहुँ
पौन आस बैशाख बुड़यलहुँ
हृदयक मीन नीर बिनु व्याकुल-
सुन्न पलना
प्रियतम

जेठक रौदी काटि रहल छल
सूखल कानन झाॅटि रहल छल
उदधि अषाढ़े जल सँ तिरपित-
लवालव अंगना
प्रियतम

साओन-भादव मौन मनाओल
तुहिन गात तर आश्विन आयल
कातिक - अगहन बिहुँसथि-
पूस माॅगै छथि ललना
प्रियतम