भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

माटि आ मोज़ाइक / कीर्तिनारायण मिश्र

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

जखन तखन अहाँ हमरा लग अबि कए
आँखि नींचा कए
भ’ जाइत छी ठाढ़ि आ’ पैरक आंगुरसँ
नोच’ लगैत छी फर्श
कतेक लाल भ’ जाइत अछि
अहाँ केर न’ह

किछु तँ बुझियौ
ई गामक नरम-कोमल माटि नहि
मोज़ाइक अछि
तरबा केर नीचा मे।