भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

मृत्यु-2 / दीप नारायण

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

जन्म लैत देरी
सुरु होइछ मृत्युक तामझाम
लोक जकरा कहैत छैक जीवन

विआह, मुरन, उपनयन
वा जीवनक कोनो उत्सव पर
जखन हँसैछ
खुश होइछ लोक
पुलकित होइछ जीवन
पैघ जीवनक आशीर्वाद दैत
मृत्यु सेहो बजबैछ थोपरी

जीवनक एहि रंगमंच केँ
मृत्यु सँ नीक आओर केँ परखत।