Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 17:02

मोन करइए / ककबा करैए प्रेम / निशाकर


गंगामे भरि पोख
चुभकी
सहेजि ली
पानि के अंग-अंगमे।

मोन करइए-
आन्हरक आँखि
नांगरक पयर
बहिरक कान
आ बौकक कंठ बनि जाइ।