Last modified on 1 जुलाई 2014, at 22:04

मोरो चित बसय समोलिया रे / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

मोरो चित बसय समोलिया रे
ओहि कुंज गलीमे
तीन रंग साड़ी पहिरलनि फल्लां छिनरो
लाल-पीअर हरिअर रे ओहि कुंज गलीमे
तीन रंग बर लग सुतलनि फल्लाँ छिनरो
भइया-सइँया ननदोसिया हे ओहि कुंज गलीमे
तीन रंग बेटा जनमौलनि फल्लाँ छिनरो
अबरा-झबरा चितकबरा हे ओहि कुंज गलीमे