Last modified on 4 जुलाई 2014, at 20:46

राजा दशरथ एक पतिया पठओलनि / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

राजा दशरथ एक पतिया पठओलनि, राजा जनक नहि मान
राजा जनक जी के एके जे बेटिया, किए देखि धैरज बान्ह
जखन बरिअतिया दरबज्जा बिच आओल, राजा खसल मुरछाइ
रानी जे कनथिन रंगमहलिया, राजा कानथि दरबार
सखि सभ कानथिन जनक नगरिया, सखि बिनु रहलो ने जाय