भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

विपटा क स्राप / बुद्धिनाथ मिश्र

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

सपटा सँ भेटल वरदान
विपटा केर स्राप भ' गेलै
की करतै यज्ञक संकल्प
उनटा जँ जाप भ' गेलै ।

पाबनि-पाबनि बाँटल लोक
बन्हकी लागल मुरेठ भेल
आखर- आखर कीलित देश
कठरा छूटल सिलेठ भेल

सदिखन जागल आँखिक लेल
सपना संताप भ' गेलै ।

तोरि गेलै खेतक सभ आरि
गाम- गाम आबिकें दहार
कत' गेलै 'बहिंगा सन मोछ'
कत' गेलै 'बज्जर केवार'

बौनवीर सभ लगैछ आइ
राजनीति नाप भ' गेलै ।

टोल-टोल अछि मसान घाट
जरइछ बारहमासा गीत
नगरक फुटपाथ पर बिकाइ
आँचर केर खूँट बन्हल प्रीत

हुनका ले' सभटा आदर्श
रमनामी छाप भ' गेलै ।