भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

शक्ति / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

एक बेर घृणाक मिसाइल दागल जागत अछि
आ ओकरा घेरामे
जेरक जेर लोकक मोन
संक्रमित भीऽ जाइत अछि।

अस्त्र-शस्त्र कोनो होअय
लाठी-भाला
बन्नुक-तोप
ओकरा लग नहि छैक
सोचबाक कनियो शक्ति।

शक्ति
अस्त्र-शस्त्र रखनिहार
शासक, सेना आ आतंकी लग होइत अछि
जे समय-कुसमय
एकर सदुपयोग
आ दुरुपयोग
करैत रहैत अछि।