भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

सांझ दियऽ सांझ दियऽ जसुमति मइया / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

सांझ दियऽ सांझ दियऽ जसुमति मइया
बीति गेल पहिल सांझ
कथी केर दीप कथीक सूत-बाती
कथीक तेल जरायब सांझ
सोनाकेँ दीप पाटक सूत-बाती
सरिसो केर तेल जरायब सांझ
जरय लागल दीप झमकय लागल बाती
खेलय लगली संझा मइया सारी राती