भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

सामा खेलऽ गेलौं माइ हे नितेश भैया आंगन / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

सामा खेलऽ गेलौं माइ हे नितेश भैया आंगन
आहे, कनियां भौजी लेलनि लुलुआय
कि ननदि कतऽ अयलौं हे
जुनि लुलुआउ हे भौजो, जुनि पढ़ू गारि
आहे जाबत रहबै माय-बाप राजमे
ताबत खेलब सामा हे
आहे माय-बापक राज जहिया छुटि जेतै हमरो
छुटि जैते तोहरो आंगन हे
आहे, जाबत रहबै माय-बाप राजमे
सामा खेलऽ आयब हे
आहे, एतबा वचन जे सुनल मोर भइया
मारल बरछी घुमाय
कि बहिन मोर पाहुन रे