भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

स्मृति-तीन / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज


अहाँक कायाक गढ़नि
सिद्ध शिल्पकारक शिल्प जकाँ कयलनि अछि
प्रकृति।

प्रेमी सभक मोनक
बेर-बेर
लोभबइए
बहकाबइए
प्रेमक आगिकें
पजारइए
अहाँक काया।

हमहूँ जनैत छी
अहँू जनैत छी
सभ दिन नहि रहतैक
काया
मुदा,
सभ दिन रहतैक
प्रेम
आ प्रेमक स्मृति।