"देखैत दुन्दभीक तान / गजेन्द्र ठाकुर" के अवतरणों में अंतर
Sharda suman (चर्चा | योगदान) |
Sharda suman (चर्चा | योगदान) |
||
पंक्ति 30: | पंक्ति 30: | ||
मुदा मनुक्ख ताकि अछि लेने | मुदा मनुक्ख ताकि अछि लेने | ||
एहि अनन्तक परिधि | एहि अनन्तक परिधि | ||
− | + | परिधिके नापि अछि लेने मनुक्ख। | |
ई आकाश छद्मक तँ नहि अछि विस्तार, | ई आकाश छद्मक तँ नहि अछि विस्तार, | ||
पंक्ति 36: | पंक्ति 36: | ||
तावत एकर असीमतापर तँ करहि पड़त विश्वास! | तावत एकर असीमतापर तँ करहि पड़त विश्वास! | ||
− | + | स्वरके देखबाक | |
− | + | चित्रके सुनबाक | |
− | + | सागरके नाँघबाक। | |
समय-काल-देशक गणनाक। | समय-काल-देशक गणनाक। | ||
21:29, 17 सितम्बर 2013 के समय का अवतरण
देखैत दुन्दभीक तान
बिच शामिल बाजाक
सुनैत शून्यक दृश्य
प्रकृतिक कैनवासक
हहाइत समुद्रक चित्र
अन्हार खोहक चित्रकलाक पात्रक शब्द
क्यो देखत नहि हमर चित्र एहि अन्हारमे
तँ सुनबो तँ करत पात्रक आकांक्षाक स्वर
सागरक हिलकोरमे जाइत नाहक खेबाह
हिलकोर सुनबाक नहि अवकाश
देखैत अछि स्वरक आरोह अवरोह
हहाइत लहरिक नहि ओर-छोर
आकाशक असीमताक मुदा नहि कोनो अन्त
सागर तँ एक दोसरासँ मिलि करैत अछि
असीमताक मात्र छद्म, घुमैत गोल पृथ्वीपर,
चक्रपर घुमैत अनन्तक छद्म।
मुदा मनुक्ख ताकि अछि लेने
एहि अनन्तक परिधि
परिधिके नापि अछि लेने मनुक्ख।
ई आकाश छद्मक तँ नहि अछि विस्तार,
एहि अनन्तक सेहो तँ नहि अछि कोनो अन्त?
तावत एकर असीमतापर तँ करहि पड़त विश्वास!
स्वरके देखबाक
चित्रके सुनबाक
सागरके नाँघबाक।
समय-काल-देशक गणनाक।
सोहमे छोड़ि देल देखब
अन्हार खोहक चित्र,
सोहमे छोड़ल सुनब
हहाइत सागरक ध्वनि।
देखैत छी स्वर, सुनैत छी चित्र
केहन ई साधक
बनि गेल छी शामिल बाजाक
दुन्दभी वादक।