भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"बेटी नहि कानत / दीपा मिश्रा" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीपा मिश्रा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCa...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
 
पंक्ति 6: पंक्ति 6:
 
}}
 
}}
 
{{KKCatKavita}}
 
{{KKCatKavita}}
{{KKCatMaithiliRachnakaar}}
+
{{KKCatMaithiliRachna}}
 
<poem>
 
<poem>
 
जहिया सासुर  
 
जहिया सासुर  

17:44, 18 जुलाई 2023 के समय का अवतरण

जहिया सासुर
पुतोहुक परीक्षा
लेब छोड़ि देत
कोनो बेटी
विदा होएबा काल
नहि कानत
घोघ केने
दीप पर चलब
माछ काटब
हरदि चूड़ब
कोहबर नीपब
तिलकोर मोड़ब
भुजिया काटब
घैट फेंटब
भात पसायब
आगि पजारब
धान कूटब
किछु नै सिखाओल
गेल अहाँके नैहरमे?
एहेन प्रश्ने कियाक?
हँसब बाजब पहिरब
सुतब उठब सब लेल
एतेक नियम कियाक?
साँस लिए दियौ
स्वेच्छासँ ओकरा
अपन जीवन
जीबाक अधिकार
जहिया भेटऽ लागत
बेटी नै कानत
नैहर सासुरक
अंतर जहिया
मिटी जायत
बेटी नै कानत!