Last modified on 5 जून 2013, at 07:21

पियास / महेन्द्र

सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 07:21, 5 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=महेन्द्र (मैथिली कवि) |संग्रह= }} {{KKCat...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

अहाँक स्नेह

हमर सेहन्ताक घरमे
औनाइत रहैत अछि मोन
एकटा स्पर्शक लेल
हथोड़िया दैत रहैत अछि।

अहाँक स्नेह
आ हमर स्नेहिल स्वभाव
अन्हारसँ भरल
कतोक बासनमे हमर हाथकें
बिन्हैत रहैत अछि
दकचैत रहैत अछि तन-मनकें मीत !
कनै सहयोग करू
खोलि दियौ कोनो खिड़कीक पट्टा
हम ताकि लेब अहाँक स्नेह आ
अपन सेहन्ता
आकाशमे चमकैत बिजुरीक रेखाक
चितकबरी इजोत
सहियारि देत।