Last modified on 1 जुलाई 2014, at 13:21

साओन भादव केर निशि रतिया / मैथिली लोकगीत

Mani Gupta (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 13:21, 1 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह= बिय...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

साओन भादव केर निशि रतिया, कहमा गमेलहुँ एती राति हे
तोहरोसँ सुन्दरि धनि मालिन केर बेटिया, ओतहि गमेलहुँ एती राति हे
आबथु मालिन बेटी बैसथु पलंग चढ़ि, कओने रीति जोड़ल सिनेह हे
फूल लोढ़य गेलहुँ राजा फुलबरिया, राजा बेटा हंसि देल, हम मुसुकाय देल
नैने नैने जोड़ल सिनेह हे
मरिहौक गे मालिन बेटी तोरो जेठ भइया, मोरा पिया राखल लोभाय हे