Last modified on 4 अप्रैल 2015, at 10:55

कृष्णविवर / प्रवीण काश्‍यप

सशुल्क योगदानकर्ता ३ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 10:55, 4 अप्रैल 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=प्रवीण काश्‍यप |संग्रह=विषदंती व...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

पैशाची कृष्णविवरमें डूबैत एक बालचन्द्र,
अटृहास करैत अछि तइओ,
अपन मृत्यु केँ दैत अछि चुनौती
अदृष्य कृष्णविवर सभक उदरमे,
हजारो हजार ग्रह-उपग्रह-तारा।
संवेदनशून्य तारकीय मुखमे,
प्रवेश करैत चलि जा रहल अछि,
लाखो लाख जीवन,
मुदा मृत्यु सँ पहिने मरैत नहि अछि।
चलू, ओतहु एक संसार हम बसाबी।