Last modified on 19 दिसम्बर 2015, at 18:24

डहकन / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

Anupama Pathak (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:24, 19 दिसम्बर 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=शिव कुमार झा 'टिल्लू' |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

तिलक लाख एगारह समधि तैयो नहि संतोख औ
एक पसेरीक छागर संगहि रसगुल्ला भरिपोख औ
नमरल धोधि कदीमा सनक दाँत केहेन छनि चोख औ
माइक दूधछोड़ल सोइरी सन बेटा चाटथि मोख औ
सात पिरहीके कृत्त उघारब तैयो ने लागत दोख औ
गछने छल हीरा केर अभरन ठकि लेलक निहसोख औ
काटर टकाकेँ बैंक दबेलहुँ की समधिनकेँ फेर कोखि औ
जेठक लकलक पीठ सतरिया की रस लेलकनि सोखि औ
बडकी समधिन हाहिक मारल ताकथि पोरगर लोक औ
टोलक सभटा बहसल छौड़ा ओगरनि हुनकर मोख औ
अठारह कैरेटके लॉकेट अनलहुँ कोनो ने धरिधोख औ
गारि सुन' मे किये लगै अछि दुन्नू भीत पर जोंक औ