Last modified on 9 मार्च 2018, at 21:20

चित्र उकेरै छी कागत पर / रूपम झा

Rahul Shivay (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 21:20, 9 मार्च 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=रूपम झा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMaithiliRach...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

चित्र उकेरै छी कागत पर
दृश्य गाम केर बना रहल छी।

देखू चित्र गाम केर अछि ई
धार बहि रहल एकरा छूबैत
गाछी मे जे झलकि रहल अछि
अछि गाछ सँ महुआ चूबैत
जामुन, कटहर, बड़हर महुआ
कतेक रंग सँ सजा रहल छी
दृश्य गाम के बना रहल छी

अछि कनकिरबी पाँच बरख केर
देखू बकरी चरा रहल अछि
नित्य दरिद्रता केर मोटरी ई
कोना माथपर उठा रहल अछि
पत्ता खरड़ि रहल अछि नेना
गामक जीवन देख रहल छी
दृश्य गाम के बना रहल छी

एतय कृष्क खेत मे नित दिन
धामक मोती चुआ रहल छथि
नव किसलय केर अरि-अरि मे
रक्त अपन ओ पटा रहल छथि
बाढ़ि सुखाड़ गिड़ै छनि हिनका
व्यथा गाम के सुना रहल छी