Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 17:34

किएक खसै छै? / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:34, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


जहिना वसंतक मौसममे
गाछमे लगै छै पात
ओहिना
कविक कलमसँ कविता
चित्रकारक कुच्चीसँ चित्र
संगीतकारक ससाजसँ संगीत
घरनीक हाथसँ कज
सुरुजसँ इजोत
चानसँ शीतलता
चिडै़सँ किलोल
खेतसँ फसिल
बेदरासँ उछाही
मुदा,
पतझड़क मौसममे
गाछसँ खसै छै
पात-सन
बुढ़ारीमे
माथसँ झरै छै
केश-सन
किएक खसै छै
नेताक मुँहसँ भरोस
पुलिसक मुँहसँ गारि?