Last modified on 27 सितम्बर 2020, at 19:20

आगि / दिलीप कुमार झा

सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 19:20, 27 सितम्बर 2020 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दिलीप कुमार झा |अनुवादक= |संग्रह= }}...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

आगि तँ बहुत छैक ओकरा भीतर
आगिक उष्मासँ धहधह करैत छैक देह
ओएह उष्मा थिकै ओकर ऊर्जा ताहिसँ अछि अनजान
सगरो पसरि जाय ई आगि
जे उर्जान्वित क' सकय हमरा युवारक्तकें
आगिक एकटा-एकटा चिनगी
अछि महत्त्वपूर्ण
आगि मुदा होइछ बड़ अनटाह
कनियें असावधानी क' दैछ गामक गाम सुड्डाह
बड़ शक्ति छैक आगिमे
हमरा भीतर कियै नहि धधकि रहल अछि आगि
जे कतेको दिनसँ सुनगि रहलए
एहि व्यवस्थाक सरान्धसँ
मातृभूमि आओर मातृभाषाक उपेक्षाक आक्रोशसँ।