Last modified on 12 फ़रवरी 2021, at 23:31

निघेस / दीप नारायण

सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 23:31, 12 फ़रवरी 2021 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीप नारायण |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMai...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

साँझ परिते अहाँ
भोरका अखबार जँका
रहैत छी निःशब्द
चौपेतल

जेना-जेना
बितैत जाइत अछि राति
उधेसल जाइत छी
अखबारे जँका

भोर होइते
सँझुका अखबार जँका
भ' जाइत छी अहाँ निघेस।