Last modified on 19 मई 2021, at 22:59

भोर / नारायण झा

सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 22:59, 19 मई 2021 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नारायण झा |अनुवादक= |संग्रह=बौआ ठो...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

उठू बौआ, उठू बुचिया
भेलै देखू भोर
पूब दिशासँ सूरज हुलकै
देखू भेल इजोर

छोड़ि चिड़ैया अप्पन खोता
खूब मचाबै सोर
नेना-भुटका ख़ूब नचै छै
जेना नचैए मोर

गाछ-पात पर लाल-पियर
रौदे पोरे-पोर
उठू बौआ, उठू बुचिया
भेलै देखू भोर।