Last modified on 19 मई 2021, at 23:00

ऑनलाइन दोकान / नारायण झा

सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 23:00, 19 मई 2021 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नारायण झा |अनुवादक= |संग्रह=बौआ ठो...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

समयक गाड़ी गुड़कै छै एहिना
बदलै छै युग सभ दिन एहिना
युगक भाँति भेटै छै अवसरि
बदलू युग संग, भैया-बहिना

आब घरे-घरे दोकान अबैए
पान, फोका मखान अबैए
कीनए जँ चाहब, भेटत सभटा
चीनी, गुड़ोक चखान अबैए

कलम-कॉपी, किताबो भेटए
मन पसंद कपड़ो सभ भेटए
मनमाफिक जँ नहि अछि तँ
आपस करिते चट टाका भेटए

टीवी, फ्रीज कम्प्यूटर छै देखू
पंखा, बाजा किनबै तँ देखू
बजारसँ कम दाम लैत अछि
सभटा सुच्चा सामान छै देखू

फल-फलिहारी, दूध-दही-घी
मधुर-मिठाइ देखि चटपट जी
चॉकलेट-बिस्कुट रंग-विरंगक
बैसले-बैसल लिअय बहिनजी

ऑनलाइन दोकान जे खुगलै
तहिना ठकक दोकानो बढ़लै
सदति चतुर रहि, रही चौचंक
नहि ठकाएब जँ जाँचि किनबै।