Last modified on 15 अक्टूबर 2024, at 19:34

अजबारल / दीपा मिश्रा

सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 19:34, 15 अक्टूबर 2024 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीपा मिश्रा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCat...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

हम दुआरि पर ठाढ़ छी
भनसाघरमे बुआसिन
बरतन सभक बचल खेनाइकेँ
अजबारिके एकटा पैघ अढ़ियामे
सांठि रहल छथि
हमरा भीतर जाएब मना अछि
बहरायल भनसाक बरतन
हम मांजिके राखि दैत छियैन
ओकरा एक पानि धो फेर भनसा करथिन
ओना ओहिसँ हमरा कोनो मतलब नै छै
हमरा ओहि अढ़ियामे
अपन पांचों बच्चाक आंत देखा रहल
हमरा जल्दीसँ काज कऽ
टोल जएबाक अछि
हम सब भगवानक अजबारल लोक छी