Last modified on 15 अक्टूबर 2010, at 11:29

चानन गाछ बनल छी / बुद्धिनाथ मिश्र

अनिल जनविजय (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:29, 15 अक्टूबर 2010 का अवतरण (नया पृष्ठ: {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=बुद्धिनाथ मिश्र |संग्रह= }} Category: मैथिली भाषा [[Category…)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

चारू कात बसैए विषधर
पोरे-पोर डसल छी
एहि बिखाह जंगल मे हमही
चानन गाछ बनल छी ।

खेत पथार धान उपटा कें
माहुर लोक रोपै अछि
रस्ता पैरा सभठाँ अगबे
रेङनी काँट फुलै अछि

किछु कमलक खातिर, रवि हम
भरि छाती पाँक धसल छी ।

ओलती कें चिनबार न सोहबइ
दूनू मे न पटै अछि
फूटल बासन रेसनिहार
क्यो नहि एहि गाम भेटै अछि

हम तँ युगक भाल सँ
सिनुरक ठोपे जकाँ पोछल छी ।

नव जातिक होलिका हसय
केवल प्रह्लाद जरै अछि
सूर्यक एहि सतलखा महल मे
बादुर आब रहै अछि

हमर मोल द्वापरे कहत
बसुली हम झोल भरल छी ।